काठमाण्डू, ७ आसिनः
डिजिटल सुरक्षा आ कानूनी साक्षरताक विषयमे महिला पत्रकारकेँ तीन दिनक प्रशिक्षण देल गेल अइछ ।
डाइलग डेमोक्रेसी इनिसिएटिभ (डिडिआइ)क सहकार्यमे सञ्चारिका समूहद्वारा आइसँ कार्यशाला शुरू कएने अइछ । ‘डिजिटल सेफ्टी एण्ड लिगल लिट्रेसी वर्कसप–डिफेन्डिङ डिजिटल एक्सप्रेसन’ विषयपर चइल रहल कार्यशालामे पत्रकार उज्ज्वल आचार्य डिजिटल कानूनी साक्षरतासम्बन्धी प्रशिक्षण देलैन । विशेष रूपसँ पत्रकारितामे डिजिटल कानूनी साक्षरता कतेक आवश्यक छै आ कोन-कोन विषयक जानकारी लेबाक चाही लगायत विविध विषयमे प्रशिक्षण देल गेल अइछ ।
सञ्चारिका समूहक अध्यक्ष कमला पन्थी महिला पत्रकारकेँ डिजिटल साक्षरताक विषयमे जानकारी लेब आवश्यक छै, कहैत सञ्चारिका समूह प्रशिक्षणपर जोड़ देने बतौलैन । ओ महिला पत्रकारक व्यावसायिक आ व्यक्तिगत सुरक्षाक लेल सेहो अइ विषयमे ज्ञान हासिल करब आवश्यक रहल बतौलैन















