काठमाण्डू, ८ आसिन : अमेरिका नेपालकेँ तीन करोड़ १० लाख डलर प्रदान करबाक जनाैलक अइछ ।


संयुक्त राष्ट्र संघके ८१म महासभामे सहभागी होबाक सिलसिलामे न्युयोर्कमे रहल परराष्ट्रमन्त्री शिशिर खनालसँ राजनीतिक मामिलासम्बन्धी अमेरिकी उपविदेशमन्त्री एलिसन हुकर बुधदिन भेल भेटमे उक्त जानकारी देलैन । 


उपविदेशमन्त्री हुकर बाइढ़के बाद पुनर्निर्माणके लेल एक करोड़ डलर प्रदान करबाक योजना रहल बतौलैन । बाइढ़सँ प्रभावित समुदायके लेल पिबैबलापाइन आ सरसफाइसहित आवास आ जीविकोपार्जनके लेल ८० लाख डलर प्रदान करबाक ओ घोषणा केलैन । (रासस)