काठमाण्डू, ८ आसिनः उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्तिमन्त्री दीपक कुमार साह एलपी ग्यासक अभाव, पेट्रोलियम पदार्थक मूल्यवृद्धि तथा दैनिक उपभोग्य वस्तुक अस्वाभाविक मूल्य नियन्त्रण लेल तत्कालसँ दीर्घकालीन योजनाधैर आगाँ बढ़ाएल गेल बतौलैन अइछ ।

राष्ट्रिय सभामे सांसदसभक प्रश्नके उत्तर दैत मन्त्री साह ग्यासक अभावक कारण पहिचान करबाक लेल ‘फिसबोन डायग्राम’क प्रयोग कएल गेल से जानकारी देलैन । ओ आयातपर निर्भरता, अन्तर्राष्ट्रीय मूल्य, भण्डारण तथा रिफिलिङ, वितरणक असमानता, खाली सिलिन्डर वापस करबामे देरी, कालाबजारी तथा अन्तरनिकाय समन्वयक कमीकेँ प्रमुख कारणक रूपमे देखल गेल  से बतौलैन ।

कृष्णभीरक सड़क आपूर्ति प्रक्रियाक ‘क्रिटिकल पाथ’मे रहलासँ सड़क विभागसँ समन्वय क  काज आगाँ बढ़ाएल गेल तथा भंसार आ यातायात व्यवस्थापनमे सेहो सहजीकरण कएल गेल हुनक कहल छल ।

भादबमे ८ लाख ५७ हजार ८२१ सिलिन्डर ग्यास आयात भेल, जे अघिला वर्षक तुलनामे २५.५६ प्रतिशत बेसी रहल मन्त्री साह जानकारी देलैन । पेट्रोल, डिजेल आ हवाई इन्धनक एखन अभाव नै रहल ओ बतौकाठमाण्डू, ८ आसिन : अमेरिका नेपालकेँ तीन करोड़ १० लाख डलर प्रदान करबाक जनाैलक अइछ ।

संयुक्त राष्ट्र संघके ८१म महासभामे सहभागी होबाक सिलसिलामे न्युयोर्कमे रहल परराष्ट्रमन्त्री शिशिर खनालसँ राजनीतिक मामिलासम्बन्धी अमेरिकी उपविदेशमन्त्री एलिसन हुकर बुधदिन भेल भेटमे उक्त जानकारी देलैन । 

उपविदेशमन्त्री हुकर बाइढ़के बाद पुनर्निर्माणके लेल एक करोड़ डलर प्रदान करबाक योजना रहल बतौलैन । बाइढ़सँ प्रभावित समुदायके लेल पिबैबलापाइन आ सरसफाइसहित आवास आ जीविकोपार्जनके लेल ८० लाख डलर प्रदान करबाक ओ घोषणा केलैन । (रासस)ग्यास आपूर्ति सहज बनाबय लेल ‘क्रिटिकल पाथ’पर काज भ  रहल: उद्योगमन्त्री साह ग्यास आपूर्ति सहज बनाबय लेल ‘क्रिटिकल पाथ’पर काज भ  रहल: उद्योगमन्त्री साह

राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)

काठमाण्डू, ८ आसिनः उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्तिमन्त्री दीपक कुमार साह एलपी ग्यासक अभाव, पेट्रोलियम पदार्थक मूल्यवृद्धि तथा दैनिक उपभोग्य वस्तुक अस्वाभाविक मूल्य नियन्त्रण लेल तत्कालसँ दीर्घकालीन योजनाधैर आगाँ बढ़ाएल गेल बतौलैन अइछ ।

राष्ट्रिय सभामे सांसदसभक प्रश्नके उत्तर दैत मन्त्री साह ग्यासक अभावक कारण पहिचान करबाक लेल ‘फिसबोन डायग्राम’क प्रयोग कएल गेल से जानकारी देलैन । ओ आयातपर निर्भरता, अन्तर्राष्ट्रीय मूल्य, भण्डारण तथा रिफिलिङ, वितरणक असमानता, खाली सिलिन्डर वापस करबामे देरी, कालाबजारी तथा अन्तरनिकाय समन्वयक कमीकेँ प्रमुख कारणक रूपमे देखल गेल  से बतौलैन ।

कृष्णभीरक सड़क आपूर्ति प्रक्रियाक ‘क्रिटिकल पाथ’मे रहलासँ सड़क विभागसँ समन्वय क  काज आगाँ बढ़ाएल गेल तथा भंसार आ यातायात व्यवस्थापनमे सेहो सहजीकरण कएल गेल हुनक कहल छल ।

भादबमे ८ लाख ५७ हजार ८२१ सिलिन्डर ग्यास आयात भेल, जे अघिला वर्षक तुलनामे २५.५६ प्रतिशत बेसी रहल मन्त्री साह जानकारी देलैन । पेट्रोल, डिजेल आ हवाई इन्धनक एखन अभाव नै रहल ओ बतौलैन ।