काठमाण्डू, ९ आसिनः प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह नेपाल, भारत आ चीनके नेतृत्वमे ‘हिमालयन क्लाइमेट रेजिलियन्स मेकानिजम’ स्थापनाके प्रस्ताव केलैन अइछ ।
संयुक्त राष्ट्रसंघके ८१म महासभाकेँ आइ सम्बोधन करैत ओ हिन्दुकुश हिमालय क्षेत्रसँ करिब दू अरब लोक पाइन, पारिस्थितिक प्रणाली, कृषि आ जीविकोपार्जनसँ जुड़ल उल्लेख करैत हिमालय क्षेत्र पृथ्वीके जीवन प्रणालीके महत्वपूर्ण हिस्सा भेल बतौलैन ।
नेपालके विश्वव्यापी कार्वन उत्सर्जनमे नगण्य योगदान रहलोपर तकर असर नेपाल लगायतके देशके असर भ रहल उल्लेख केलैन। प्रधानमन्त्री शाह एक महिना पहिने नेपालके हिमाली क्षेत्रमे आएल भोटेकोशी बाइढ़के असर नेपालमे मात्र सीमित त्रासदी नै भ विश्वके लेल चेतावनी संकेत भेल बतौलैन ।
प्रस्तावित संयन्त्रमार्फत स्याटेलाइट तथ्याङ्क आ विशेषज्ञता आदानप्रदान करबाक, जोखिमयुक्त हिमतालके निगरानी करबाक, संयुक्त पूर्वसूचना प्रणाली मजबुत बनेबाक तथा विपदके समयमे सीमापार सहायता तथा समन्वय कएल जेबाक हुनकर कहब छैन ।
प्रधानमन्त्री शाह नेपाल अपन पारिस्थितिक योगदानसँ बेसी विश्वव्यापी भूमिका निर्वाह क रहल उल्लेख करैत ओ नेपालके भूभागके करिब आधा क्षेत्रमे वन पुनःस्थापना भेल जानकारी करेलैन ।
स्वच्छ ऊर्जाके आवश्यकता पूरा करबाक लेल जलविद्युत् विकास आगू बइढ़ रहल, विद्युतीय सवारीके प्रयोग बइढ़ रहल आ स्थानीय तहमे जलवायु अनुकूलनकेँ मजबुत बनाए रहल प्रधानमन्त्री बतौलैन । प्रधानमन्त्री शाह बढ़ैत विपदसँ लडबाक लेल नेपाल आओर तैयारी करबाक प्रतिबद्धता सेहो व्यक्त केलैन । (रासस















