काठमाण्डू, १३ आसिन : प्रतिनिधि सभामे राष्ट्रिय प्रतिरक्षा विश्वविद्यालय विधेयक, २०८३ प्रस्तुत कएल गेल अइछ । प्रतिनिधि सभाके आजुक बैसारमे प्रधानमन्त्री तथा रक्षामन्त्री वालेन्द्र शाहके दिससँ कानुन, न्याय तथा संसदीय मामिलामन्त्री सोविता गौतम ‘राष्ट्रिय प्रतिरक्षा विश्वविद्यालय विधेयक, २०८३’ प्रस्तुत केलैन । तहिना, प्रधानमन्त्री शाहके दिससँ कानुनमन्त्री गौतम ‘किछ नेपाल ऐनके व्यवस्था जगाबैबला विधेयक, २०८३ पर विचार कएल जाए’ से प्रस्ताव प्रस्तुत केलैन । तहिना, शिक्षा, स्वास्थ्य तथा सूचना प्रविधि समितिके सभापति ओजस्वी शेरचन राष्ट्रिय सभामे उत्पत्ति भेल ‘राष्ट्रिय विधि विज्ञान प्रयोगशाला (स्थापना आ सञ्चालन) विधेयकसम्बन्धी समितिके प्रतिवेदन, २०८३’ पेस केलैन । तहिना, पूर्वाधार विकासमन्त्री सुनिल लम्साल ‘डिप्लोमा इन्जिनियरिङ परिषद विधेयक, २०८३’ प्रस्तुत केलैन । रासस