काठमाण्डू, १५ आसिन : प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाहसँ नेपालक लेल अष्ट्रेलियाके राजदूत साइमन अर्न्स्ट शिष्टाचार भेट केलैन अइछ । सिंहदरबारस्थित प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद कार्यालयमे आइ भेल भेटमे प्रधानमन्त्री शाह बाइढ़ तथा विपदके कारण उत्पन्न अइ कठिन समयमे नेपाल आ नेपाली जनताप्रति अष्ट्रेलिया सरकारसँ व्यक्त ऐक्यबद्धता, सद्भाव आ मानवीय सहयोगक लेल हार्दिक कृतज्ञता व्यक्त केलैन ।


प्रधानमन्त्री शाह खोज, उद्धार तथा राहत काजमे अष्ट्रेलिया कएने महत्त्वपूर्ण सहयोग, विपद सहायता तथा विपद सहायता टोलीके परिचालन, विशेषज्ञ जनशक्तिके सहयोग तथा आवश्यक राहत सामग्री आ उपकरणके उपलब्धताक लेल विशेष धन्यवाद देलैन । अष्ट्रेलिया घोषणा कएने ११ मिलियन अष्ट्रेलियन डलर बराबरके मानवीय सहायता नेपालप्रतिके अष्ट्रेलियाके मित्रता आ ऐक्यबद्धताके महत्त्वपूर्ण अभिव्यक्ति भेल ओ उल्लेख केलैन । ओइ अवसरमे बाइढ़ प्रभावित समुदायके राहत, पुनःस्थापना तथा पुनर्निर्माणसहित आबैबला समयमे  विपद जोखिम न्यूनीकरण आ प्रतिरोध क्षमता अभिवृद्धिके लेल निरन्तर सहकार्यके विषयमे बातचित भेल छल । 


जलवायु परिवर्तनक कारण नेपाल जेहन पर्वतीय देश भोइग रहल जोखिमकेँ सम्बोधन करबाक लेल अन्तर्राष्ट्रिय समुदायके सझिया प्रयास ‘क्षति आ नोक्सानी’ सम्बन्धी वित्तीय संयन्त्रमे सहज, पर्याप्त तथा पूर्वानुमानयोग्य पहुँचके महत्त्वमे सेहो प्रधानमन्त्री शाह जोड़ देलैन ।


भेटमे राजदूत साइमन अर्न्स्ट प्राकृतिक विपदके कारण नेपाल भोगने क्षतिप्रति दुःख व्यक्त केलैन । तहिना, हाले संयुक्त राष्ट्र संघमे नेपाल जनौने सशक्त आ प्रभावकारी उपस्थितिके ओ प्रशंसा सेहो केलैन । भेटक क्रममे नेपाल–अष्ट्रेलिया सम्बन्धक विविध पक्षसहित विपद व्यवस्थापन, जलवायु, मानव संसाधन विकास तथा दीर्घकालीन सहकार्यके विषयमे दूनु गोटे बीच परामर्श भेल छल ।

(रासस)