काठमाण्डू, १६ आसिनः उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्ति मन्त्रालयका सचिव रुद्रसिंह तामाङ सुरक्षा निकायकेँ सेहो एलपिजीके बिक्री वितरणके अनुमति देबाक तैयारी भ रहल जानकारी देलैन अइछ ।


विकास आर्थिक मामिला तथा सुशासन समितिद्वारा आइ आयोजित ‘दैनिक उपभोग्य वस्तुसभके सहज आपूर्ति व्यवस्थापन आ अनुगमन’ विषयक कार्यक्रममे ओ देशमे ग्यास वितरणमे असहज भेल समयमे सुरक्षा निकायसँ वितरणमे सहजतासँ व्यवस्था मिलेबाक बतौलैन ।


“अखन नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी बल लगायतके सुरक्षा निकाय पेट्रोलियम पदार्थके बिक्री वितरण करैत आइब रहल छैथ”, ओ कहलैन, “सुरक्षा निकायके आउटलेटसँ सेहो ग्यास वितरण क सकलापर  बहुत सहज हएत ।”(रासस) 


–––